Wednesday, September 26, 2012

मैथिली सिने संसार नामक त्रैमासिक पत्रिका लेल रचना आमंत्रित (रिपोर्ट बिनीत ठाकुर)

काठमाण्डूसँ प्रकाशित होमयवाला मैथिली सिने संसार नामक त्रैमासिक पत्रिकाक हेतू अपने लोकनि लग कोनो लेख रचना होए तऽ अवश्य पठावी । लेख–रचना मैथिली सिनेमा, गीत, कला संस्कृतिसँ सम्वन्धित हेवाक चाही । maithilicinesansar@gmail.com, forbkt@yahoo.com –संपादक

Thursday, September 13, 2012

मैथिली फिल्म "मुखियाजी" २२ सितम्बर २०१२ केँ दूरदर्शन पटनापर ४ बजे अप्राह्णसँ ६.३० बजे अपहाह्ण धरि देखाएल जाएत।

मैथिली फिल्म "मुखियाजी" २२ सितम्बर २०१२ केँ दूरदर्शन पटनापर ४ बजे अप्राह्णसँ ६.३० बजे अपहाह्ण धरि देखाएल जाएत।

Wednesday, September 5, 2012

नव मैथिली एल्वम (रिपोर्ट बिनीत ठाकुर)


किछु दिन पहिने काठमाण्डूमें रेकर्डभेल नव मैथिली एल्वमक गीतकेँ मिक्सिङ्ग काज आजु सम्पन्न भेल अछि । ई नवका मैथिली एल्वमक गीतसब छायांकन भऽ वहुत जल्दि वजारमे आओत ।

गीतकार ः विनीत ठाकुर आ रामनरेश कापड़ि
संगीतकार ः कमल मण्डल
गयक ः रामा मण्डल, हरिशंकर चौधरी, विशु मण्डल
गयिका ः तनुजा चौरसिया, वन्दना मैनाली आदि ।

Monday, September 3, 2012

सिने संसार त्रैमासिक पत्रिकाक तेसर अंक बजारमे (रिपोर्ट बिनीत ठाकुर)

काठमाण्डू सँ प्रकाशित होमय वला मैथिली सिने संसार नामक त्रैमासिक पत्रिकाक तेसर अंक वजारमे उपलब्ध अछि । अपने लोकनि अपन अपन प्रति सुरक्षित करी आ सल्लाह सुझाव पत्रिकाक पतापर संप्रेशित करी से हमर आग्रह ।
– संपादक