Saturday, October 15, 2011

"सजना के अंगना मे सोलह सिंगार"- रिलीजक बादक आरम्भिक रिपोर्ट आह्लादकारी (भास्कर झाक रिपोर्ट)

चित्र सौजन्य भाष्कर झा

चित्र सौजन्य भाष्कर झा
चित्र सौजन्य भाष्कर झा



विश्वस्त सूत्र स प्राप्त सूचना के अनुसार मैथिलीक बहुचर्चित फिल्म सजना के अंगना में सोलह सिंगार, जे १४ अक्तूबर २०११ के रिलीज भेल ,के अपार सफलता भेट रहल अछि जे . अहि समय में इ फिल्म दरभंगा के छबी गृह क्रेज डोल्बी, सुपौल तथा बेनीपट्टी स्थित छबि गृह में बड धूमधाम स चलि रहल अछि . मधुबनिक छबि गृह सब में से हो जल्दिये देखावक प्रयास भय रहल अछि . फिल्म निर्देशक , कलाकार , संगीतकार श्री मुरलीधर जी मधुबनी स मोबाईल द्वारा सूचित कयाला कि टिकट काउंटर पर दर्शकगनअक बड भीर देखल जा सकैत अछि , इ अहि बताक द्योतक अछि कि यदि मैथिलि में बढ़िया फिल्म बनावल जाय ता दर्शाकगणक कोनो कमी नहिं. सजना के अंगना में सोलह सिंगारक सफलता मैथिलि सिनेमा के मुख्य धारा स जोराबक में बहुत महत्वपूर्ण साबित होयत .मैथिली के सुन्दर गीत संगीत और डैलोग स सजल मैथिलि फिल्म निर्माता संदीप झा प्रस्तुत सजना के अंगना में सोलह सिंगार मैथिली सिनेमा के इतिहास में अपन महत्वपूर्ण सफलता स अवश्य याद कायल जायत। (भाष्कर झा)

No comments:

Post a Comment